मिथिलालाइव
साहित्य
 
MithilaLive >Sahitya >>कविता
धन्‍य-धन्‍य ओ मिथिला महान   प्रवीण झा,  Hit Counter
धन्‍य-धन्‍य ओ मिथिला महान, हम सब छी जकर संतान ।
विश्‍व करैछ जकर गुणगान, धन्‍य-धन्‍य ओ मिथिला महान ।।

रामक सासुर छैन जाहि ठाम, कपिल, कणाद, गौतमक स्‍थान ।
 सुर, नर, मुनि करैछ जकर यशगान, धन्‍य-धन्‍य ओ मिथिला महान ।।

सनातन धर्मक जखन भ गेल लोप, नास्तिक सभक सभतरि पसरि गेल कोप ।
तखनहु मिथिला में छल धर्मक इजोत, सामवेदक मंत्रोच्‍चार सॅ ओतप्रोत ।।
 
आदि शंकराचार्यक अछि इ प्रसंग, शास्‍त्रार्थ केला मंडन ओ भारतीक संग ।
वैदिक धर्मक पुन: भेल विस्‍तार, विश्‍व देखलक मिथिलाक संस्‍कार ।।
 
मैथिल होएबा पर अछि हमरा अभिमान, अतिथि सत्‍कार अछि जकर धर्मप्राण ।
सुर, नर, मुनि करैछ जकर यशगान, धन्‍य-धन्‍य ओ मिथिला महान ।। धन्‍य-धन्‍य ओ मिथिला महान ।।।
 
 
प्रस्तुती प्रवीण झा pkjpatna@gmail.com     
प्रवीण झा,  पूर्व मध्‍य रेल, पटना (भाई लोकनि अपने सब सॅ आग्रह जे मिथिला लाईवक चैटरूम में आबी आ सप्रेम गप-शप करी ।)
 
और भी
स्‍वर्ग सॅ सुन्‍दर मिथिलाधाम
मैथिल भाई हमर प्रणाम
सत्तहवां सावन
कभी कभी
दिल मॆ बसा कर
 
 

Feed Back  -   Refer To Friend - Terms Of Use- Privacy Policy About Us  -  Contact Us  - Careers -Advertise With Us
© 2007 Adarsh Internet Pvt. Ltd. Benipatti Madhubani All Right Reserved info@mithilalive.com