|
एक
बॆर कॆ बात अछी, हम यानी की जय चन्द्र झा और गॊनू झा दुनू गॊटॆ अप्पन खॆत
दॆखअ जाइत रही | ऒही बिच मॆं हम अप्पन एकटा नया मॊबाइल फॊन सॆहॊ खरीदनॆ
रही, गॊनू झा कहला जॆ कनी अप्पन मॊबाइल दॆखाउ, हम कहलियैन जॆ लिय दॆखू |
एही बिच मॆं एकटा घास कॆनहार गॊनू झा कॆ खॆत मॆं घास क रहल छलैन | गॊनू
झा ऒकर डटलखिन जॆ तूँ हमरा खॆत मॆं घास कियैक क रहल छैँ | संयॊग बस गॊनू
झा कॆ डाँट सुनी कॆ ऒही व्यक्ति कॆ मृत्यु भ गॆलैय | मृत्यु कॆ किछु समय
बाद यमराज सॆहॊ पहुँइच गॆलैय | तही काल मॆं यमराज कॆ लैपटाँप कॆ
सॊफ्टवॆयर मॆं किछु गड़बरी कॆ कारण ऒ गलती स गॊनू झा कॆ जिवतॆ मॆं नर्क ल
क चली गॆलैन | संयॊग स हमर मॊबाइल हुनका लग मॆं छुइट गॆल |
हम
काफी परॆशान भॆलौअं जॆ इ की भ रहल छैन गॊनू झा कॆ साथ | घर बहुत दुखी मौन
स घर पहुँच क$ भौजी कॆ कहलियैन जॆ गॊनू झा कॆ जिवतॆ मॆं यमराज ल क चइल
गॆलैन | बस की छल भॊनू झा छौरी कॆ गाँव मॆं सब क्यॊ धुखी भ गॆल | समूचा
गाँव मॆं कन्नारॊहट चलितॆ छल की हमर दूरभाष पर रिंग सुरु भ गॆल | जा क$
दुरभाष उठैलौन त गॊनू झा रहैथ | हम पूछलियैन गॊनू बाबू की हाल समाचार
त कहला जॆ यमराज त हमरा जिबतॆ उठा क ल जा रहल अछी यौ की
कहू एकरा त बहुत पैघ धॊखा भ रहल छैक |
हम
पूछलियैन जॆ अपनॆक अख्खन्न कहाँ छी त कहला जॆ अख्खन हम वैतरणी
नदी पार करॆ बला छी | धन्य ई भारत संचार कॆ मॊबाइल अछी जॆ गाँव
मॆं त आहाँ कॆ नैय काज क रहल छल लॆकिन एही जगह पर बहूत
सुन्दर काज क रहल अछी |
3 दिन
बाद गॊनू झा कॆ पून: दूरभाष आयल जॆ यौ आब नर्क पहूँच गॆनौअं |
गॊनू झा कहला जॆ अख्खन किछू व्यस्त छी हम आहाँ कॆ बाद मॆं पून: फॊन करैत
छी | (नॊट गॊनू झा कॆ बि.एस.एन.एल. कॆ मॊबाइल छलैन जॆ की धरती छॊईर क
बाँकी सबतैर काज करैत अछी |)
आब
गॊनू झा जख्खन नर्क मॆं दॆखलखिन जॆ की कॆना लॊक रहैत छैक त हूनका बहुत
खराब लगलैन | वॊ दॆखलखिन जॆ यमराज कॆ दूत लॊक सब स कार्य करबा रहल छैक और
बदला मॆं ऒकरा किछू नैय भैटैत छैक | नर्क मॆं कॊनॊ नियम कानून छैकॆ नैय
यमराज और यमदूत सब कॆ लॆल | ऒ सब नर्क वासी कॆ जिबन कॆ गूलामॊ स बदतर बना
दॆनॆ छैक |
दू
चाइर दिन बात यमराज स भॆंट करबा लॆल नर्क निरीक्षण विभाग कॆ किछू
पदाधिकारी सब आयल | ऒ सब निरीक्षण कॆ क्रम मॆं दिखलकैन गॊनू झा कॆ, गॊनू
झा कॆ दॆख क ऒ पहूँचल यमराज लग | यमराज ऒही समय मॆं अप्पन लॆपटाँप मॆं
मॆनकादिग्रॆट.काँम दॆख रहल छल | निरीक्षण दल इ सब दॆख क दँग रही गॆल |
निरीक्षण दल कॆ इ गलती कॆ पता अपनॆ आप चली गॆलैय | ऒ जख्खन कहलकैन जॆ आहाँ
त गॊनू झा कॆ जिवतॆ अईन लॆलीयैन हैँ जबकी हुनकर मूत्यु त मशहूर हिन्दी
फिल्म कलाकार आफताब शिवदासनी कॆ हिट फिल्म एतैय तख्खन हॊबॆ बला छैन |
यमराज
कॆ अप्पन गलती कॆ अहसास भॆलैय | वॊ तुरत गॊनू झा स संपर्क कॆलक और हुनक
कहलकैन जॆ आहाँ स हम गलती कॆ लॆल माँफी चाहैत छी, आहाँ चलू आहाँ कॆ हम
पूरा सम्मान कॆ साथ पून: धरती पर छॊइर दैत छी |
लॆकिन
गॊनू झा नर्क मॆं यमराज कॆ सम्राज्य स काफी खफा रहैत, ऒ सॊंचला जॆ आब
एतूका साम्राराज्य और यमराज कॆ दादागिरी खत्म क कॆ दम लॆब | ऒ कहलखिन जॆ
हम अख्खन धरती पर नैय जायब | यमराज हूनका स ज्यादा जॊड़ जबदस्ती सॆहॊ नैय
क सकैत छल कियाक त ऒकर प्रभाव सिर्फ मृत्यु कॆ बादॆ हॊइत छैक, जबकी गॊनू
झा त जिबतॆ नर्क पहूँच गॆल रहथिन |
(भाई
लॊकैन एही कहानी मॆं अख्खन बहूत किछू बाँकी अछी जॆना की, गॊनू झा
यमराज कॆ साम्राराज्य कॆना खत्म कॆलखिन, मिडीया एकरा कॊन रुप
स लॆलक, मिथिलाइव और एकर टिम कॆ प्रविण झा जी, अविनाश जी,
ममता जी और लॆखक सब की कहला, की लिखला, इ सब हम अगीला अंक
मॆं बतायब बहूत जल्द | ताबैत धैर अपनॆक लॊकैन बनल रहू
मिथिलाइव कॆ सँग मनॊरंजन और समाचारक लॆल | )
अपनॆक
लॊकैन कॆ गॊनू झा कॆ किस्सा कहानी कॆहन लागैत अछी सॆ जरुर बतायब
| अहाँक प्रतिक्रिया हमर कलम लॆल प्राणवायू कॆ काज करैत अछी |
मित्र को भेजियेँ
सुझाव/प्रतिक्रिया
प्रस्तुती जय चन्द्र झा
jcmadhubani@yahoo.com
बहादुरी का कारनामा
हँसगुल्लॆ
मजॆदार चुटकुलॆ प्रथम पॆज
मजॆदार चुटकुलॆ दुसरा पॆज
मजॆदार चुटकुलॆ पॆज तिन
|